मैथिलीमे संविधान मैथिलक लेल प्रेरक – डॉ. घनाकर ठाकुर

मैथिलीमे संविधान मैथिलक लेल प्रेरक- डा धनाकर ठाकुर अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् संविधान दिवस पर भारतीय संविधानकें विभिन्न भारतीय भाषामे प्रस्तुत करए लेल भारत सरकार आओर अनुवादक आओर प्रकाशककें धन्यवाद देलक अछि ।

मैथिली बिहारक अधिकांश भाग आ झारखंड आ पश्चिम बंगालक किछु इलाकाक लोकक मातृभाषा अछि | मैथिली लगभग सात करोड़ लोक बजैत छथि आ मैथिलीमे संविधान 2013मे पहिनहि स्वर्गीय प्रोफेसर नित्यानंद लाल दास आ भैरव लाल दास द्वारा प्रस्तुत कयल गेल छल |

आब सरकारी सहयोगसं आधिकारिक तौर पर प्रकाशित भ गेल अछि। अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् संविधानक मूल भावनाक सम्मान करैत सब भाषामे प्रस्तुत करबाक एहि कार्यक्रमक सराहना केलक अछि आओर आशा केलक अछि जे एकर ऑडियो बनाक भारत सरकारक सूचना आओर प्रसारण विभाग एकरा विभिन्न भाषामे प्रसारित करत, ताकि ओहो लोक जे पढ़ि-लिखि नहि सकैत छथि, मुदा जखन लाखों एहन मजदूर गाम-घरमे घुमैत-फिरैत वा रहैत अपन भाषामे संविधान सुनताह तखन ओ अपन अधिकारक प्रति जागरूक भ’ जेताह आओक अपन नागरिक कर्तव्य निर्वाह करताह तखनहि एकटा श्रेष्ठ भारतक निर्माण होएत जे विश्वक नेतासओ गुरु होयत।

अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद आओर नेशनल मेडिकोज आर्गेनाइजेशनक संस्थापक डॉ. धनाकर ठाकुर संविधान दिवस पर देशक जनताकें बधाई दैत उपरोक्त संदेश देलखिन्ह। .

 

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *